रुसि चलली गौरी तेजि महेश
रुसि चलली गौरी तेजि महेश, कर धय कार्तिक गोद गणेश।
तोहे गौरी जुनि नैहर जाह-2, त्रिशूल बाघम्बर बेचि बरु खाह।।
रुसि चलली गौरी तेजि महेश….
त्रिशूल बाघम्बर रहो बर पाया-2, हम दु:ख काटब नैहर जाय।
रुसि चलली गौरी तेजि महेश….
देखि ऐलहूँ गौरी नैहर तोर-2, सबके पहिरन बाकल डोर।
रुसि चलली गौरी तेजि महेश….
जुनि उकटू शिव नैहर मोर -2, नांगट स भल बाकल डोर।
रुसि चलली गौरी तेजि महेश….
भनहिं विद्यापति सुनिय महेश-2, नीलकंठ भय हरहु क्लेश ।
रुसि चलली गौरी तेजि महेश, कर धय कार्तिक गोद गणेश। २….
रुसि चलली गौरी तेजि महेश….
रुसि चलली गौरी तेजि महेश, कर धय कार्तिक गोद गणेश। २….
रुसि चलली गौरी तेजि महेश….
No comments: