मोती जेना झहरई नोर
कानि कानि सीता बेटी, अंगना बहारथि अंगना बहारथि !
मोती जेना झहरई नोर -२ !!
कानि कानि
---------------
घर सँ बाहर भेली, माई सुनयना -२ !
कियै सीता झहरई नोर -२ !!
आई हम भेलहुँ -२, पर के पुतहुआ -२ !
बिनती करैत दिन जाय -२ !!
बेटा के लिखल बेटी -२, अपनो संपतिया -२ !
अहुँके लिखल पर घर -२ !!
कियै सीता झहरई नोर , बिनती करैत दिन जाय !
अहुँके लिखल पर घर , मोती जेना झहरई नोर !!
No comments: