-: डमरुआ हे गौरा ल गेल चोर :-
डमरुआ हे गौरा ल गेल चोर -२ ……
ल गेल चोर ,गौरा ल गेल चोर -२ …….
उकटब हे गौरा नैहर तोर -२……
तोर बाप डमरू -२, चोरा लेलनि मोर, गौरा ल गेल चोर
उकटब हे गौरा नैहर तोर -२……
तोर बाप डमरू -२, चोरा लेलनि मोर, गौरा ल गेल चोर
नहीं उकटू शिव नैहर मोर -२……
टूटलि मरैया पर -२, एतेक टीपोर, गौरा ल गेल चोर
डमरुआ हे गौरा ल गेल चोर -२ ……..
कार्तिक गणपति लेलनि कोर -२ ……….
चलली भवानी,२ नैहरबा के ओर,गौरा ल गेल चोर
डमरुआ हे गौरा ल गेल चोर
दस -पाच सखी भोला लेलैनी बजाए २……..
रुसल भवानी के २ लेलनि मनाई, गौरा ल गेल चोर
डमरुआ हे गौरा ल गेल चोर २ ……
No comments: